राईत इजोरिया ताइक रहल अछि
छौंडा सब भकुआइत रहल अछि
फ़ेसबुक पर टिपिर-टिपिर
किद्देन-कहां सब छाईप रहल अछि
नुनू बाबु एना जुनि करू
बनू नै अहां दिनजरू
वाट्सएप-फ़ेसबुक सं फ़ुरसत लय क
पोथी-पुस्तक सेहो धरू
बुच्ची दाई के शौख बड्ड भारी
चाहियैन हुनका बड়का गाडी
पा̆प, रैप आ डिस्को क चक्कर में
बिसरि गेल ओ गोसाऊनि आ नचारी
बाबू कहथिन पढ गै बुच्ची
नै त भेंटतौ वर खुरलुच्ची
पढि लिखि क जौं लोक बनलैं त
शौख पुरा हेतौ सच्ची-मुच्ची
वैदेहि बेटी अछि बड्ड होसगर
बैस जाई अछि ओ पढै लेल एकसर
आंगन में आन धिया-पुता सब
खुसुर-फ़ुसुर बतियाइत रहल अछि
राईत इजोरिया ताइक रहल अछि
छौंडा सब भकुआइत रहल अछि
कियौ करैथ इंजिनियरिंग के तैयारी
किनको मेडिकल भेटले चाही
सोशल-मिडीया के भ्रमजाल में,
मुदा सभ कियौ ओझराय रहल अछि
राईत इजोरिया ताइक रहल अछि
छौंडा सब भकुआइत रहल अछि
नेता सब मुस्काइत रहल अछि
जनता सब मुंह ताइक रहल अछि
हरियर-लाल रंग में रंगिक
पुरने भाषण बांचि रहल अछि
राईत इजोरिया ताइक रहल अछि
छौंडा सब भकुआइत रहल अछि
कहै ’प्रणव’ अछि सुन छौंडा सब
काज नै आबय सुख्खल भाषण
जेकरा कर के लक्ष्य हासिल छै
कठीन निशाना साईध रहल अछि
राईत इजोरिया ताइक रहल अछि
छौंडा सब भकुआइत रहल अछि